Welcome to न्यू झारखण्ड वाणी   Click to listen highlighted text! Welcome to न्यू झारखण्ड वाणी
Uncategorized

गिरिजानंदन झा “अर्धनारीश्वर”क निधन पर शोकसभा

मैथिली साहित्यक सुप्रसिद्ध रचनाकार गिरिजानंदन झा “अर्धनारीश्वर”क निधन पर आइ अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद द्वारा गूगल मीटिंगक माध्यम सँ एक शोकसभा आयोजित कएल गेल। सभाक अध्यक्षता डॉ. अशोक अविचल, जमशेदपुर कएलनि, जाहिमे विभिन्न साहित्यकार आ शिक्षाविद सभ गहन शोक व्यक्त कएलनि

गिरिजानंदन झा “अर्धनारीश्वर”क निधन पर शोकसभा

रांची- मैथिली साहित्यक सुप्रसिद्ध रचनाकार गिरिजानंदन झा “अर्धनारीश्वर”क निधन पर आइ अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद द्वारा गूगल मीटिंगक माध्यम सँ एक शोकसभा आयोजित कएल गेल। सभाक अध्यक्षता डॉ. अशोक अविचल, जमशेदपुर कएलनि, जाहिमे विभिन्न साहित्यकार आ शिक्षाविद सभ गहन शोक व्यक्त कएलनि।

सभामे वक्ता सभ मैथिली साहित्यक समर्पित रचनाकार सभक योगदानक स्मरण करैत चिंता व्यक्त कएलनि जे समाज अपन सच्चा साहित्य-सेवी सभकेँ अपेक्षित सम्मान नहि द’ सकल अछि। ओ सभ कहलनि जे अनेक साहित्यकार अपन समग्र जीवन साहित्य-साधनामे समर्पित क’ देलनि, मुदा ओ अपन लेल स्थायी व्यवस्था सेहो नहि क’ सकलनि। तथापि ओ निरंतर युवा लेखक सभकेँ प्रोत्साहित कएलनि आ हुनकर रचना सभकेँ प्रकाशित क’ साहित्यकेँ समृद्ध कएलनि।


एहि अवसर पर प्रसिद्ध उपन्यासकार रवीन्द्र नारायण मिश्र (ग्रेटर नोएडा)क आत्मसंघर्ष आ लेखन-समर्पणक उल्लेख कएल गेल आ हुनका एक उत्कृष्ट संपादकक रूपमे स्मरण कएल गेल। कोशी संदेशमे हुनकर योगदान विशेष रूप सँ रेखांकित कएल गेल, जतय ओ नव रचना सभकेँ प्रकाशित क’ पाठक धरि पहुँचबैत छलाह।

वक्ता सभ कहलनि जे मैथिली साहित्यकार सभक उपेक्षा एक गंभीर चिंता क विषय अछि, जखन कि ई रचनाकार सभ हमर सांस्कृतिक धरोहरकेँ समृद्ध करैत छथि। एहि संदर्भमे लक्ष्मण झा सागर (कोलकाता) सहित अनेक साहित्यकार सभक उल्लेख कएल गेल, जाहि सभ अपन जीवन मैथिली भाषा लेल समर्पित क’ देने छथि।

गिरिजानंदन झा क संदर्भमे कहल गेल जे हुनकर कृति मात्र साहित्यिक रचना नहि, बल्कि गहन दार्शनिक आ वैज्ञानिक दृष्टिकोणक परिचायक अछि, जाहि सँ मैथिली साहित्यकेँ नव दिशा भेटल अछि।

कार्यक्रममे सत्यनारायण यादव (रोसड़ा, समस्तीपुर) आ कामेश्वर चौधरी (दिल्ली) अपन विचार व्यक्त कएलनि।
डॉ. धनाकर ठाकुर बोकारोमे मैथिली अकादमी स्थापना आ “अर्धनारीश्वर”क योगदान पर प्रकाश देलनि।
अमरनाथ झा, अध्यक्ष, अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद (झारखंड) कहलनि जे “अर्धनारीश्वर” अत्यंत सहयोगी आ समर्पित व्यक्तित्व छलाह।

एहि अवसर पर प्राचार्य डॉ. रवीन्द्र चौधरी बतौलनि जे वर्ष 2013 मे साहित्यकार सभ सँ संपर्क स्थापित करबाक लेल धनबाद, सिंदरी, गोमो आदि क्षेत्रमे व्यापक प्रयास कएल गेल छल। ओ ईहो बतौलनि जे झारखंड आंदोलनक प्रारंभिक शहीद सदानंद झा क स्मृति मे गोमो स्टेशन स्थित स्थल पर सेहो ओ गेल छलाह, जतय झारखंड मुक्ति मोर्चा द्वारा शहादत दिवस आयोजित कएल जाइत अछि।

सभामे डॉ. अशोक अविचल कहलनि जे गिरिजानंदन झा “अर्धनारीश्वर” एक महान साहित्यकार छलाह, जे मैथिली साहित्यमे वैज्ञानिक तत्वक समावेश क’ एकरा नव दिशा देलनि। वक्ता सभ एक स्वरमे कहलनि जे मैथिली साहित्यकार सभक सम्मान, संरक्षण आ प्रोत्साहन लेल समाज आ संस्थाक ठोस कदम उठेबाक आवश्यकता अछि।

साथहि, मिथिला राज्य आंदोलन (1954)क सेनानी विमलकांत चौधरी क निधन पर सेहो अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद द्वारा गहन शोक व्यक्त कएल गेल। दुनू दिवंगत आत्माक स्मृति मे दू मिनटक मौन राखि श्रद्धांजलि अर्पित कएल गेल।

अंतमे सभ उपस्थित सदस्य सभ दिवंगत आत्मा सभक शांति लेल प्रार्थना कएलनि।

Related Articles

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Back to top button
error: Content is protected !!
Click to listen highlighted text!